Shimmer Foundation

Directions Website Contact the establishment

Shimmer Foundation Shimmer Foundation works in multiple creative fields such as film education, filmmaking, and cultural promotion, with a focus on art, literature, and values.

🌿 सादर आमंत्रण 🌿स्मृतिशेष वीरेन्द्र ठाकुर ‘वियोगी’ जीक स्मृतिमेश्रीकृष्ण पूजनोत्सव एवं शिक्षक दिवसक पावन अवसर पर आयोजित'...
22/07/2026

🌿 सादर आमंत्रण 🌿

स्मृतिशेष वीरेन्द्र ठाकुर ‘वियोगी’ जीक स्मृतिमे
श्रीकृष्ण पूजनोत्सव एवं शिक्षक दिवसक पावन अवसर पर आयोजित

'मैथिली कवि सम्मेलन'

मातृभाषा, साहित्य आ संस्कृतिक संरक्षण-संवर्धनक उद्देश्यसँ आयोजित एहि गरिमामय साहित्यिक समारोहमे अपने लोकनि सादर आमंत्रित छी।

दिनांक : 5 सितम्बर 2026 (शनि दिन)
समय : अपराह्न 2:00 बजे
स्थान : ठाकुर सभागार, ठाकुर नेचुरोपैथी, माऊंबेहट, मनीगाछी (दरभंगा)

आयोजक

डॉ. संजय कुमार ठाकुर
निदेशक, ठाकुर नेचुरोपैथी

संयोजक

सुमित सुमन
शिम्मर फाउंडेशन, दरभंगा

📞 संपर्क (Call / WhatsApp): 9135905618

अपने लोकनिक स्नेहिल एवं गरिमामय उपस्थिति एहि साहित्यिक अनुष्ठानकेँ सफल, सार्थक आ अविस्मरणीय बनाओत।

सादर!
आयोजन समिति

ध्यातव्य जे स्मृतिशेष वीरेन्द्र ठाकुर 'वियोगी' मैथिलीक चर्चित गीतकार-नाटककार छलाह। हिनक जन्म 2 जनवरी 1942 ई. मे दरभंगा जिलाक माऊँबेहट गाममे भेल छलनि। बाल्यावस्थामे पिताक निधन भऽ जाएबाक कारणे नेनपन संघर्षपूर्ण रहलनि, तथापि दृढ़ इच्छाशक्ति आ अध्ययनशीलताक बल पर ओ अपन शिक्षा आ साहित्य-साधनाक यात्रा निरन्तर जारी रखने रहलाह। 1960 ई. मे सरिसो उच्च विद्यालयसँ प्रवेशिका परीक्षा उत्तीर्ण कएलनि। तत्पश्चात् बेनीपट्टी शिक्षक-प्रशिक्षण विद्यालयसँ शिक्षक-प्रशिक्षण प्राप्त कएलनि तथा स्नातक प्रथम वर्ष, नवीन शास्त्री, नवीनाचार्य एवं साहित्यालंकार आदि परीक्षा सभ उत्तीर्ण कएलनि। शिक्षण-कार्य हिनक प्रमुख जीविका रहलनि, आ एकरे संग-संग साहित्य-सृजनमे सेहो सक्रिय रहलाह।

छात्रजीवनसँहि हिनक साहित्य, विशेषतः नाट्य-विधाक प्रति बेस अनुराग छलनि। प्रारम्भमे गेय पदक रचना कयलनि आ पछाति नाटक-लेखनमे विशिष्ट योगदान देलनि। सामाजिक आ ऐतिहासिक विषय-वस्तु पर आधारित कतोक नाटकक रचना कयलनि, जाहिमे 'अभिलाषा' विशेष रूपसँ चर्चित-प्रशंसित अछि। एहि नाटकमे सामाजिक यथार्थ, मानवीय संवेदना आ परिवर्तनक आकांक्षाक सशक्त स्वर भेटैत अछि। अपन सृजनशीलता, सामाजिक सरोकार आ नाट्य-दृष्टिक कारण वीरेन्द्र बाबू मैथिली नाट्य-साहित्यमे एक सम्मानित स्थान छेकने छथि। एकर अतिरिक्त कदमजोड़ी फूल, रक्तकाल, व्यवस्थामे दाह वस्त्र, चाणक्य, कालिदास, वैदिक गांव माऊॅंबेहट, राजा-भोज आदि प्रकाशित कृति छनि। 6 सितम्बर 2005 ई.कें ई नश्वर शरीरकें त्यागि अनन्त यात्रा पर चलि गेलाह।

🌿 सादर आमंत्रण 🌿शिम्मर फाउंडेशन, दरभंगा एवं मैथिल परशुराम सेना, मधुबनीक संयुक्त तत्त्वावधानमे आयोजितविशाल मैथिली कवि सम्...
10/07/2026

🌿 सादर आमंत्रण 🌿

शिम्मर फाउंडेशन, दरभंगा एवं मैथिल परशुराम सेना, मधुबनीक संयुक्त तत्त्वावधानमे आयोजित

विशाल मैथिली कवि सम्मेलन

🗓 दिनांक: 11 जुलाई 2026 (शनि दिन)
🕞 समय: अपराह्न 3:30 बजे (उद्घाटन सत्र)
📍 स्थान: सौराठ सभा गाछी, मधुबनी

मैथिली भाषा, साहित्य आ मिथिलाक सांस्कृतिक विरासतकेँ समर्पित एहि विशेष आयोजनमे मिथिलाक विभिन्न जिलासँ प्रतिष्ठित कवि आ कवयित्री अपन रचनाक प्रस्तुति देताह।

विशेष आकर्षण :
• उद्घाटन सत्र
• लक्ष्मीवती गुरुकुल, सरसोपाहीक बटुक सभक वैदिक शास्त्रार्थ प्रदर्शन
• विशाल मैथिली कवि सम्मेलन
• प्रसाद ग्रहण

अहाँ सभसँ सादर अनुरोध अछि जे समय पर पहुँचि एहि साहित्यिक-सांस्कृतिक आयोजनकेँ अपन गरिमामय उपस्थिति द्वारा सफल बनाबी।

सम्पर्क (Call / WhatsApp):
📞 9135905618

शिम्मर फाउंडेशन, दरभंगा
Art • Literature • Sanskar

अहाँ सभक हार्दिक स्वागत आ अभिनन्दन अछि।
08/07/2026

अहाँ सभक हार्दिक स्वागत आ अभिनन्दन अछि।

🌿 सादर आमंत्रण 🌿मिथिलाक ऐतिहासिक आ सांस्कृतिक धरोहर भूमि—सौराठ सभा गाछी, मधुबनीमे आयोजित“मैथिली कवि सम्मेलन” मे अहाँ सभक...
06/07/2026

🌿 सादर आमंत्रण 🌿

मिथिलाक ऐतिहासिक आ सांस्कृतिक धरोहर भूमि—सौराठ सभा गाछी, मधुबनीमे आयोजित

“मैथिली कवि सम्मेलन” मे अहाँ सभक हार्दिक स्वागत आ सादर आमंत्रण अछि।

अपन मातृभाषा मैथिलीक गौरव, साहित्यिक परंपरा आ सांस्कृतिक विरासतकेँ एक संग सम्मानित करी।

📅 दिनांक: 11 जुलाई 2026 (शनिवार)
🕓 समय: अपराह्न 4:00 बजे
📍 स्थान: सौराठ सभा गाछी, मधुबनी

आयोजक:
Shimmer Foundation, Darbhanga

संयोजक:
सुमित सुमन (Sumit Suman)

📞 संपर्क (Call / WhatsApp): 9135905618

“अहाँक गरिमामय उपस्थिति एहि साहित्यिक आयोजनक शोभा बढ़ायत।”

सादर प्रतीक्षारत। 🙏

#मैथिली_कवि_सम्मेलन #सौराठ_सभा_गाछी #मिथिला #मैथिली #मधुबनी

हृदयसँ आभार
30/06/2026

हृदयसँ आभार

‘अपन-अपन दीप’ लोकार्पित, आत्मकथा समग्र जीवन-दस्तावेज़ : प्रो. भीमनाथ
29/06/2026

‘अपन-अपन दीप’ लोकार्पित, आत्मकथा समग्र जीवन-दस्तावेज़ : प्रो. भीमनाथ

दरभंगा में श्री कामेश्वर चौधरी की आत्मकथा 'अपन-अपन दीप : जीवन यात्रा' का भव्य लोकार्पण हुआ। प्रो. भीमनाथ झा सहित विद.....

🙏 हृदयसँ आभार आ सादर प्रणाम 🙏“अपन-अपन दीप : जीवन-यात्रा” पोथीक लोकार्पण समारोहकेँ सफल, गरिमामय आ स्मरणीय बनेबामे प्रत्यक...
29/06/2026

🙏 हृदयसँ आभार आ सादर प्रणाम 🙏

“अपन-अपन दीप : जीवन-यात्रा” पोथीक लोकार्पण समारोहकेँ सफल, गरिमामय आ स्मरणीय बनेबामे प्रत्यक्ष आ अप्रत्यक्ष रूपसँ सहयोग करनिहार समस्त विद्वान, साहित्यकार, शिक्षाविद्, समाजसेवी, पत्रकार बन्धु, कलाकार, साहित्यप्रेमी, शुभचिन्तक आ उपस्थित सैकड़ों गणमान्यजनक प्रति हम हृदयक गहराइसँ अपन कृतज्ञता व्यक्त करैत छी।

सबसँ पहिने आदरणीय श्री कामेश्वर चौधरी जीक प्रति विशेष आभार व्यक्त करैत छी, जिनकर विश्वास, स्नेह आ आत्मीय मार्गदर्शनक कारण हमरा एहि महत्वपूर्ण साहित्यिक आयोजनक संयोजक केर रूपमे कार्य करबाक सौभाग्य प्राप्त भेल। ई अवसर हमर जीवनक एक अविस्मरणीय उपलब्धि आ प्रेरणाक स्रोत रहत।

हम कार्यक्रमक अध्यक्ष डॉ. भीमनाथ झा, मुख्य अतिथि डॉ. योगानन्द झा, प्रो. अशोक कुमार मेहता, प्रो. प्रभास कुमार मिश्र, सुप्रसिद्ध गायिका डॉ. सुषमा झा, सफल मंच-संचालक आनन्द मोहन झा, तरुण कुमार मिश्र, डॉ. वंदना चौधरी, प्रो. पी. के. झा ‘प्रेम’, प्रो. अनिल कुमार झा, प्रो. विद्यानाथ झा, राधामोहन झा, प्रो. सर्वानन्द कुमार, विनोदानन्द झा, विजय शंकर झा, अभिषेक झा, स्वर्णिम किरण झा ‘प्रेरणा’, प्रतिभा स्मृति, सत्यनारायण यादव, मोहन चौधरी, गणेश चौधरी, किरण चौधरी, पंडित प्रमोद शास्त्री, राजेश कुमार सिंह ठाकुर, श्लोक चौधरी, ललित दुबे, राहुल राज गुप्ता, रौशन, दीपेश सहित समस्त सम्मानित अतिथिगण, उपस्थित साहित्यानुरागी लोकनि, मीडिया प्रतिनिधि तथा शुभचिन्तक सभक प्रति हार्दिक आभार व्यक्त करैत छी। यदि अनजानेमे ककरो नाम छुटि गेल होए, तँ कृपया एकरा अपनापर नहि लिअ; हमर धन्यवाद सभकेँ समान रूपसँ समर्पित अछि।

मिथिलायन, शिम्मर फाउंडेशन आ लक्ष्मीश्वर पब्लिक लाइब्रेरी, दरभंगा केर समस्त पदाधिकारी, सहयोगी, स्वयंसेवक तथा प्रत्यक्ष-अप्रत्यक्ष रूपसँ सहयोग करनिहार प्रत्येक व्यक्ति हमर धन्यवादक पात्र छथि।

अहाँ सभक स्नेह, विश्वास, सहयोग आ आशीर्वादेसँ ई आयोजन सफल, सार्थक आ स्मरणीय बनि सकल। ई स्नेह, मार्गदर्शन आ सहयोग आगाँ सेहो एहनहि बनल रहय, से ईश्वरसँ प्रार्थना करैत छी।

पुनः अहाँ सभकेँ हृदयसँ धन्यवाद, आ सादर प्रणाम। 🙏

– सुमित सुमन
संयोजक – पोथी लोकार्पण समारोह
संस्थापक – शिम्मर फाउंडेशन
संस्थापक एवं निदेशक – Shimmer Films International
Shimmer Mithila Creation
📞 Call & WhatsApp : 9135905618

🌸 स्वागत/अभिनंदन 🌸मिथिलायम, शिम्मर फाउंडेशन आ लक्ष्मीश्वर लाइब्रेरी, दरभंगा केर संयुक्त तत्वावधानमे आयोजित📚 पोथी लोकार्प...
25/06/2026

🌸 स्वागत/अभिनंदन 🌸

मिथिलायम, शिम्मर फाउंडेशन आ लक्ष्मीश्वर लाइब्रेरी, दरभंगा केर संयुक्त तत्वावधानमे आयोजित

📚 पोथी लोकार्पण समारोहमे उपस्थित समस्त विद्वान, साहित्यकार, शिक्षाविद्, समाजसेवी, पत्रकार बन्धु तथा साहित्यानुरागी जनक हार्दिक स्वागत/अभिनंदन अछि।

अहाँ सभक गरिमामय उपस्थिति एहि साहित्यिक आयोजनकेँ सफल आ स्मरणीय बनाओत।

स्वागतम्। अभिनंदनम्।

🙏 धन्यवाद 🙏

📚 सादर आमंत्रण 📚मिथिलायन, शिम्मर फाउंडेशन आ लक्ष्मीश्वर लाइब्रेरी, दरभंगा केर संयुक्त तत्वावधानमे आयोजित📖 पोथी लोकार्पण ...
22/06/2026

📚 सादर आमंत्रण 📚

मिथिलायन, शिम्मर फाउंडेशन आ लक्ष्मीश्वर लाइब्रेरी, दरभंगा केर संयुक्त तत्वावधानमे आयोजित

📖 पोथी लोकार्पण समारोहमे

अपने साहित्यानुरागी लोकनिकें सप्रेम आमंत्रण अछि।

लोकार्पित होमय वला पोथी

📚 “अपन-अपन दीप : जीवन-यात्रा”
(आत्मकथा)

✍️ लेखक : कामेश्वर चौधरी

📅 दिनांक : 28 जून 2026 (रवि दिन)
🕓 समय : अपराह्न 4:00 बजे
📍 स्थान : लक्ष्मीश्वर लाइब्रेरी, हसन चौक (हेड पोस्ट ऑफिसक सामने), दरभंगा

ई आत्मकथा लेखकक जीवन-संघर्ष, अनुभव, साधना, सामाजिक प्रतिबद्धता आ प्रेरणादायक जीवन-यात्राक सजीव दस्तावेज अछि। एहि विशेष अवसर पर साहित्यप्रेमी, बुद्धिजीवी, पाठक आ सांस्कृतिक कर्मी सभक गरिमामय उपस्थिति आयोजनकेँ सार्थकता प्रदान करत।

आयोजक :

🌿 मिथिलायन
🌿 शिम्मर फाउंडेशन
🌿 लक्ष्मीश्वर लाइब्रेरी, दरभंगा

📞 संपर्क सूत्र :
सुमित सुमन
9135905618

अहाँक स्नेहिल उपस्थिति सादर अपेक्षित अछि।

🙏 सादर आमंत्रण 🙏

Address

Beladullah, Ranipur Road
Patna
846005

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when Shimmer Foundation posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The Establishment

Send a message to Shimmer Foundation:

Shortcuts

Share